डोमेन नाओ (नाम) की होइ छै?


एकटा डोमेन नाम अहाँके पता (एड्रेस) जकाँ अछि, इ internet पर अर्थात अहाँके वर्ल्ड वाइड वेब (www) कोना ताकत (खोजत) से बुझबैत अछि। ताहि लेल, हम कोमो वेब ब्राउज़रके सभसँ ऊपर स्थित जगहके एड्रेस बार कहैत छी - यैह ओ जगह अछि जयय अहाँ एकटा वेबसाइट ताकय लेल डोमेन नाम लिखैत छी।

डोमेन नाम एकटा पता अछि ओतय अहाँके वेबसाइट एकटा बिल्डिंग, अहाँके बिल्डिंग तक लोक पहुँचय ताहि लेल एकटा पता होवाक चाही, अमुक गावँ, अमुक टोल सैह अछि डोमेन। डोमेनके सर्वर नाम अथवा रिकॉर्ड द्वारा अहाँके द्वारा होस्ट कयल गेल वेबसाइट दिस मोरी देल जायत छै। मानि लिय जे जँ डोमेन नाम नहि रहितय तँ अहाँके वेबसाइट तक पहुँचय लेल IP एड्रेस (आईपी एड्रेस) सँ खोलय अथवा ताकय पड़ितय।

अहाँके द्वारा देखल गेल सभ वेबसाइट एकटा डोमेन नाओके उपयोग करैत छै जेना google.co.in एकटा डोमेन छै। अथवा facebook.com एकटा डोमेन छै।

कोई टिप्पणी नहीं:

Blogger द्वारा संचालित.